की अपने सब अहि महिला के चिन्हैय छियैन्ह ?
ई छथि डा. कादम्बिनी गांगुली, जिन्कर जन्म 18 जुलाई , 1861ई . में भागलपुर में भेलन्हि आ पहिल दूटा भारतीय महिला ग्रेजुयेट में हिन्कर नाम छैन्ह . हिन्का British Raj में भारतीय महिला चिकित्सक , जिनका 1886ई . में चिकित्सा शास्त्र में ग्रेजुयेट होई वाली पहिल भारतीय महिला(gynecologist ) के गर्व प्राप्त छलैन्ह आ संगे पूरा दक्षिण एशिया महादेश के पहिल महिला सेहो छलि जे कि पश्चिमी चिकित्सा पद्धति में डिग्री हासिल केने छलि . ओना ता ओ बहुतोरास डिग्री अमेरिकी देश से चिकित्सा में लs नेने छलि, चाहती ता बहुत आगु तक जैतैथ . मुदा अपन पति से प्रभावित अपना के आजादी आंदोलन में समर्पित कs देलि . 1889ई . में Indian National Congress ke 6टा महिला प्रतिनिधि में से इहो छलि . नारी उन्मुक्तिकरण में हिन्कर योगदान विशेष रूप से सराहनीय अछि . आय हिन्कर पुण्य तिथि (1923)पर भाव भीनी श्रधांजलि एवम कोटिश नमन .
Tuesday, 6 October 2015
डॉ. कादम्बिनी गांगुली
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment